संपूर्ण जगत अच्छी भाव में डूबल,
करब मां के स्वागत सत्कार।
नव नव रूप धरि मां एली,
गज़ पर भ असवार।
हम तैं एलो अहिंं के द्वार,
मैया करे छी पुकार,
कनिए सुनियो अर्जी
हे मैया सुनियो अर्जी।
लाल अरहुल के फूल के मैया ,माला गूथने एलो हैं,
गाय गोबर सन नीप के आंगना, चौंकी आहा के सजेलो हैं।
नाव हमर परल बीच मझधार मैया अहिं लगाबू पार ।
कनिए सुनियो अर्जी,
हे मैया सुनियो अर्जी।
चरण पखारे ला मैया हम
गंगाजल भरी के आन लो हैं,
भोग अहा के चढ़ बै ले मैया,
हलवा पूरी बनेलों हैं,
निर्बुधिया के करु उद्धार,
मैया करे छी गुहार
आबो त सुनियो अर्जी,
हे मैया सुनियो अर्जी।
कतेक कानी कानी सुनाबी
मां अपन हम विपत्ति,
जकर जगत में कियो नै तकर
अहा मां छी ई रीति ,
पट धायने हम छी ठाढ़ कर जोड़ी करे छी पुकार मैया सुनियो अर्जी ,
हे मैया सुनियो अर्जी।।
-रीति झा
